मिथिला महोत्सवक दोसर चरण तीन सं - मिथिमीडिया


कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद द्वारा मिथिला महोत्सवक दोसर चरण केर शुभारंभ 3 फरवरी कें बड़ाबाजार केर तारासुंदरी पार्क एवं 10 फरवरी कें गिरीश पार्क मे आयोजित कयल जायत. एहि कें ल' मैथिली रंगमंच कलाकार आ मिविपकार्यकर्ता लोकनिक बैसार रविदिन भेल. मिथिला महोत्सव कें सफल बनयबाक लेल आयोजित बैसार केर अध्यक्षता अशोक झा एवं संचालन अंजय चौधरी कयलनि. तीन फरवरी कें कार्यक्रम मे सुप्रसिद्ध मैथिली गायक नंदजी, सहरसा सं राजनीति रंजन, मधुबनी रामकृष्ण झा , कंचन पांडेय, बीके गुप्ता, दीपक ठाकुर, रोशन कुमार एवं शंभु कर्ण सहित मैथिली मंचक प्रसिद्ध उदघोषक रामसेवक ठाकुर द्वारा मैथिली गीत एवं संगीत प्रस्तुत कयल जायत

0 comments:

Post a Comment