मिथिलाक सारस्वत परंपराक प्रतीक डॉ.लक्ष्मण झा


                                                            —————  पुण्यतिथि पर विशेष ———
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय पूर्व कुलपति आ प्रकाण्ड विद्वान डॉ. लक्ष्मण झाक जन्म हुनक पैतृक, दरभंगा जिलाक रसियारी गाममे 5 सितंबर 1916 के भेल छल. डॉ. झा 1942 मे गाँधी जीक नेतृत्वमे अंग्रेजक विरुद्ध चलाओल गेल "भारत छोड़ो आंदोलन''मे सक्रिय रूपसँ भाग लेने छलाह. मैथिली, संस्कृत, अंग्रेजी आ हिन्दीक प्रकाण्ड विद्वान डॉ. लक्ष्मण झा 'मिथिला आ मगध' विषयपर लंदन विश्वविद्यालयसँ 1949 ईस्वीमे पी.एच.डी.क उपाधि प्राप्त कएलनि. महान मातृभूमि आ मातृभाषा अनुरागी डॉ.झा कैम्ब्रिज आ ऑक्सफोर्डक अध्यापन हेतु प्रस्तावकेँ ठोकरा देलनि आ मिथिला-मैथिलीक विकासक लेल आजीवन कटिवद्ध रहलाह. नेपाल आ भारत, दूनू पार अवस्थित मिथिलाक एककऽ भारतीय गणराज्यक अंतर्गत एकटा फराक मिथिला राज्य बनेबाक परिकल्पना करैत ई सुगौली संधिक विरोधमे सभसँ पहिने ठाढ़ भेलाह. पृथक मिथिला राज्यक लेल चलाओल जा रहल आंदोलनक ई प्रणेता कहल जाइत छथि.
Read Here Real Content : http://www.mithimedia.com/2013/01/blog-post_23.html

0 comments:

Post a Comment