जनचेतनाक विलक्षण रचनाकार धूमकेतु - मिथिमीडिया



                                                            ———————— जयंती पर विशेष ——————
मानवीय संवेदना आ सामाजिक सरोकारकेँ अपन रचनाक माध्यमे जीवंतता प्रदान कएनिहार सामान्य जनचेतनाक प्रखर आ विलक्षण रचनाकार धूमकेतु, मैथिली साहित्याकाशमे एकटा समुज्ज्वल नाम अछि. धूमकेतुक जन्म वर्तमान मधुबनी जिलाक कोइलख गाममे 25 जनवरी 1932 ईस्वीकेँ भेल छलनि. हिनक मूल नाम भोलानाथ झा छलनि. हिनक पिताक नाम रमानाथ झा छलनि. 1955 ईस्वीमे पटना विश्वविद्यालयसँ अर्थशास्त्रमे स्नात्कोत्तर केलाक बाद ई दैनिक आर्यावर्तमे उपसंपादकक रूपमे काज कएलनि. 1957ई.मे धूमकेतु जनकपुर डिग्री कॉलेजमे अर्थशास्त्रक प्राध्यापक बनलाह आ एतय ओ 1973 ईस्वी धरि अर्थात करीब सोलह बरखधरि अपन सेवा देलनि. जनकपुरमे हिनकर विद्वता आ बुद्धिप्रखरतासँ प्रभावित प्रशंसकक कमी नहि छल. 


0 comments:

Post a Comment